#class_10th_maithili_besb_ch

Поділитися
Вставка
  • Опубліковано 24 жов 2024
  • #class_10th_maithili_besb_ch-01_प्रोश्नोत्तर(मिथिलाक_संस्कृतिक_सीमा)_global_research_academy
    #class
    #10th
    #bihar_board
    #global_research_academy
    #मैथिली
    #biharboardsocialscienceclass10 #_class_10_bihar_board
    मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा
    24..मिथिला अथवा तिरहुत कि थीक।
    → मिथिला अथवा तिरहुत पुरान जनपद थीक।
    25.'मिथिला के बासौने छलाह l
    → राजर्षि निमिक पुत्र 'मिथि' ई नगरी बसौने छलाह जे आगू जा कऽ 'मिथिला जनपद' प्रसिद्ध भेल।
    26.बृहद्विष्णुपुराणमे सीमाक बारे में कि कहल गेल अछि l
    → बृहद्विष्णुपुराणमे सीमा निर्देशक सङ्ग सङ्ग ई कतेक नाम ओ चाकर अछि से कहल गेल अछि
    27.बृहद्विष्णुपुराणक अनुसार मिथिलाक नमति आ चकराइ अछि l
    → बृहद्विष्णुपुराणक अनुसार मिथिलाक नमति चौबीस योजन अर्थात् छियानब्बे कोस आ चकराइ सोलह योजन अर्थात् चौंसठ कोस अछि l
    28.कोशी गण्डकी धरि मिथिलाक नमती अछि l
    → कोशी गण्डकी धरि मिथिलाक नमती चौबीस योजन अर्थात् छियानब्बे कोस अछि l
    29.गङ्गासँ हिमालयक वन पर्यन्त चकराइ अछि l
    → गङ्गासँ हिमालयक वन पर्यन्त चकराइ सोलह योजन अर्थात् चौंसठ कोस अछि।
    30.'आईने-अकबरी के लेखक अछि l
    → 'आईने-अकबरीक लेखक अबुल फजल अछि l
    31.'आईने-अकबरीमे' मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा शीर्षक पाठक बारे में कि कहल गेल अछि ?
    → 'आईने-अकबरीमे 'तिरहुत सरकार' के सीमा इएह कहल गेल अछि (जेना
    "अज गङ्ग ता सङ्ग अज कोश ता भूस"
    32.मिथिला भाषा रामायणक रचयिता के छथि ?
    → मिथिला भाषा रामायणक रचयिता चन्दा झा छथि l
    33.चन्दा झा मिथिलाक चौदद्दी के बारे में कि कहने अछि ?
    →चन्दा झा मिथिलाक चौदद्दी के बारे में कहने अछि जे - "गङ्गा बहथि जनिक दक्षिण दिश पूर्व कौशिकी धारा । पश्चिम बहथि गण्डकी उत्तर हिमवत बल-विस्तारा। कमला, त्रियुगा, अमृता, धेमुड़ा, बागमती, कृतसारा। मध्य बहथि लक्ष्मणा प्रभृति से मिथिला विद्यागारा।"
    34.चन्दा झाक अनुसार मिथिलाक चौदद्दी लिखु l
    → चन्दा झाक अनुसार मिथिलाक उत्तरमे हिमालय, दक्षिणमे गङ्गा नदी, पूर्वमे कोशी एवं पश्चिममे गण्डकी नदी अछि।
    35.चन्दा झाक अनुसार मिथिलाक संस्कृति कतs तक विद्यामान अछि ?
    → चन्दा झाक अनुसार,उत्तरमे हिमालय, दक्षिणमे गङ्गा नदी, पूर्वमे कोशी एवं पश्चिममे गण्डकी नदी एतवा दूरमे मिथिलाक संस्कृति भाषा, धार्मिक आचार-विचारक संस्कृति विद्यमान छल।
    36.'लिंग्विस्टिक सर्वे ऑफ इण्डिया' के लेखक अछि l
    → 'लिंग्विस्टिक सर्वे ऑफ इण्डिया' के लेखक डाक्टर ग्रियर्सन अछि l
    37.'लिंग्विस्टिक सर्वे ऑफ इण्डिया' में डाक्टर ग्रियर्सन कि निदृष्ट कय गेलाह अछि ?
    → 'लिंग्विस्टिक सर्वे ऑफ इण्डिया' में डाक्टर ग्रियर्सन मैथिली भाषा प्रचारक दृष्टिसँ मिथिलाक सीमा निदृष्ट कय गेलाह अछि।
    38.'लिंग्विस्टिक सर्वे ऑफ इण्डिया' सँ कि बोध होइत अछि ?
    → 'लिंग्विस्टिक सर्वे ऑफ इण्डिया' सँ बोध होइत अछि जे मिथिलाक पश्चिमी सीमा अओर आगू मोतीहारिअहुसँ पूब बढ़ि आयल अछि।
    39.आइ डाक्टर ग्रियर्सन साहेब द्वारा निदृष्टि सीमहुमे कि आबि गेल अछि ?
    → आइ डाक्टर ग्रियर्सन साहेब द्वारा निदृष्टि सीमहुमे अन्तर आबि गेल अछि l
    40. मिथिलाक संस्कृति छल।
    → मिथिलाक संस्कृति वेद सम्मत छल।
    41. मिथिलामे केटा राज्य छल ?
    → मिथिलामे दुइ राज्य छल पूर्वमे विदेहक ओ पश्चिममे लिच्छवी l
    42.विदेह आ लिच्छवी केहन राज्य रहय ?
    → विदेह आ लिच्छवी गणतन्त्र राज्य रहय l
    43.मिथिलाक पूर्वमे आ पश्चिम मे कोन राज्य रहय ?
    → मिथिलाक पूर्वमे विदेहक आ पश्चिममे लिच्छवी राज्य रहय l
    44.लिच्छवीक राजधानी कतs छल ?
    → लिच्छवीक राजधानी 'वैशाली' छल।
    45.रामायण कालहुमे अत्यन्त प्रसिद्ध एवं सम्पन्न नगरी छल।
    → रामायण कालहुमे अत्यन्त प्रसिद्ध एवं सम्पन्न नगरी 'वैशाली' छल।
    46.आइ-काल्हि 'वैशाली' के कि कहल जाइत अछि l
    → आइ-काल्हि ओहि स्थानमे मुजफ्फरपुर जिलाक 'बसाढ़' अछि।
    47.'जैन' क अन्तिम तीर्थङ्कर के छलनि?
    → 'जैन' क अन्तिम तीर्थङ्कर महावीर स्वामी छलनि l
    48.महावीर स्वामी कतs उत्पन्न भेल छलाह?
    → वैशाली' मे 'जैन' क अन्तिम तीर्थङ्कर महावीर स्वामी उत्पन्न भेल छलाह।
    49.भगवान् बुद्ध प्रचार कार्य कतs कयलन्हि?
    → भगवान् बुद्ध प्रचार कार्य वैशाली मे कयलन्हि?
    50. भगवान् बुद्ध वैशालीस 'कुशीनगर' जाइत काल अपन महिमास कोन नदी प्रगट कयलन्हि।
    → भगवान् बुद्ध वैशालीस 'कुशीनगर' जाइत काल अपन महिमास 'बाया' नामक नदी प्रगट कयलन्हि।

КОМЕНТАРІ • 1